-51

Virus : A book

Original price was: ₹200.00.Current price is: ₹99.00.

  • Publisher ‏ : ‎ anupras prakashan (1 January 2021)
  • Language ‏ : ‎ Maithili
  • Paperback ‏ : ‎ 96 pages
  • ISBN-10 ‏ : ‎ 9391371310
  • ISBN-13 ‏ : ‎ 978-9391371319
  • Reading age ‏ : ‎ 16 years and up
  • Country of Origin ‏ : ‎ India

लघुकथाक मूल तत्व छैक व्यंग्य । व्यंग्यक धार जतेक चोखगर, लघुकथा ओतबे सफल। आ ताहि लेल लघुकथाक आकारपर कोनो निर्भरता नहि होमक चाही। हँ, इहो पाओल जाइत अछि जे व्यंग्य सिरज’मे कथाकारपर हास्य हाबी भ’ जाइत छैक। ई एकटा खतरनाक स्थिति होइत छैक। एहिसँ कथाकारकेँ बचबाक चाही। प्रस्तुत संग्रह ‘भाइरस’मे कथाकार एहि मामिलामे सतर्क देखाइत छथि। कथामे विवशता, करुणा आ भाइरसक भयसँ उत्पन्न स्थितिकेँ कथाकार पोथीक शीर्षककथा ‘भाइरस’क अंतमे कहैत छथि- ‘लोक देखलकैक— बिनु हवाक टायरबला स्कूटरपर मरल बापकेँ लदने टेकनाथ अपन पत्नीक संगे ठेलि-ठूलि क’ जा रहलाह। लखनदेइक कातमे खधिया कोड़ि बापकेँ गाड़ि अयलाह। केम्हरोसँ कोनो खोज-पुछारि नहि। भाइ-रस सुखा गेलैक। भाइरस ग्रसने छैक।’ एकटा कथा ‘कोरोना वारियर’मे डाक्टरक प्रति आम लोकक विरोध एहि बातसँ स्पष्ट होइत अछि – नायकक ई सी जी नहि होयबाक कारणें प्रधानमंत्रीकेँ पत्र लिखब जे डाक्टर सभक लाइसेंस कैंसिल करथि। ओकरा कोरोना वारियर नहि कहथि।

Reviews

There are no reviews yet.

Only logged in customers who have purchased this product may leave a review.