SHASHI KUMAR SHASHI
शशि कुमार शशि लदनियाँ प्रखण्ड अंतर्गत सिधपकला गामक स्मृतिशेष माता उर्मिला देवी एवं पिता श्री सत्य नारायण यादवक पुनीत आँगनमे 09 फरवरी 1983 ई. क' जन्म ल' अपन जीवन-यात्राक मंगलाचरण कएलनि। अपन माटि-पानि आ भाषा-संस्कृतिक प्रति नेनपनहिसँ हृदयमे अनुराग अंगेजने मैथिली विषयसँ बी.-एड आ स्नातकोत्तरक उपाधि ग्रहण कएलनि। मैथिलीक विभिन्न पत्र-पत्रिकादिमे हिनक रचना प्रकाशित होइत रहैत छनि। समकालीन मैथिली साहित्यक रचनात्मक पत्रिका 'अनुप्रास'क यशस्वी सह-सम्पादक छथि संप्रति जनता उपेन्द्र श्री लाल राम झूलन सूरत पराउ उच्च विद्यालय पदमामे मैथिली विषयक +2 विद्यालय अध्यापकक रूपमे कार्यरत्त छथि।
1
Article
